दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: पत्रकारक काज होइत अछि सच देखेनाई आ सच लिखब, अहि के लेल कखनो काल पत्रकार के अप्पन जानक बाजी तक लगाबय पड़ैत अछि। बावजूद एकर पत्रकारक संग देबय वला लोकक समाज मे बहुत आभाव अछि।
गत 27 अक्टूबर कय सिंहवाड़ा थाना के भड़वाड़ा मे भेल गहबर कांडक रिपोर्टिंग कतेक मुश्किल छल एकर अंदाज अहि बात सं लगाओल जा सकैत अछि जे, दरभंगा जिला के किछु इलेक्ट्रॉनिक मीडिया के रिपोर्टर के अलावा तमाम स्थानीय रिपोर्टर घटना स्थल सं बहुत पहिने ठाढ़ छल। परंतु एकटा युवा रिपोर्टर दीपक कुमार सब दिन जेना अहि महत्वपुर्ण खबरि के लेल घटना स्थल पर पहुँच गेल।
कवरेज के दौरान दीपक के एक-एक रुपैया जोड़िकय खरीदल गेल मोटरसाइकिल के उपद्रवी गहबर कांड के दौरान आगि लगा देलक। घटना के बेकाबू होइत तमाम लोक ओतय सं भागि गेल मुदा दीपक तैयो बेख़ौफ़ रिपोर्टिंग करैत रहल।
ओतय अहि घटना के बाद तमाम दलक नेता द्वारा राजनितिक बयानबाजी शुरू भय गेल, मुदा एकटा पत्रकार के मोटरसाइकिल जरि कय खाक भय गेल ताहि पर कियो किछु नहि बाजल। बावजूत एकर दिवाली पर ‘एक दिप शहीदक नाम पर जरबैत’ दीपक कहैत अछि जे, मोटरसाइकिल जरला सं हौसला नहि जरल अछि। सच के सामने अनबाक लेल जान धरि जोखिम मे दय सकैत छी।