वाहनक चपेट मे आबि कय एक गोटे’क मौत, चारि अन्य घायल

    0
    282

    मधुबनी, मिथिला मिरर: बिहार के मधुबनी जिला के फुलपरास थाना क्षेत्र मे बुधदिन भोर मे एकटा अनियंत्रित वाहनक चपेट मे एबा सं एकटा व्यक्ति के मौत भय गेल तथा चारि अन्य गंभीर रुप सं घायल भय गेल अछि।

    पुलिस सूत्र अनुसार खोपा चैक के समीप राष्ट्रीय उच्च पथ पर एकटा अनियंत्रित पिकअप वैन सड़क कात मे ठाढ़ पांच गोटे के कुचलि देलक। दुर्घटना मे मो. खलील (35) के मौका पर मौत भय गेल तथा ओकर सात वर्षीय जुड़वा पुत्र एजाज आ सिराज समेत चारि गोटे गंभीर रुपे घायल भय गेल अछि।