शराबक लत छोड़ेबाक लेल नौकरी छोड़ि गाम एलाह प्रवासी

    0
    404

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: आम तौर पर नौकरी पेबाक लेल लोक बिहार सं पलायन कय पैघ शहरक रुख करैत अछि। परंतु ई शायद पहिल मौका अछि जे, अप्पन नौकड़ी छोड़ि सिर्फ शराब छोड़बाक लेल कोनो परिवार बिहार पंहुचल हो। सुंबा मे काने अजीब जरूर लागत, मुदा सौ फीसदी सच्च अछि।

    जहन मिथिला मिरर केर पत्रकार निशांत झा’क भेंट एकटा शराबक लत छोड़ेबाक लेल अप्पन नौकड़ी छोड़ि कय महाराष्ट्र स बिहार पंहुचल एकटा दंपति स भेल। दरभंगा जिलाक नगर थाना क्षेत्रक राजकुमार गंज निवासी रणधीर झा मिथिला मिरर सं बातचीत मे कहलनि जे, महाराष्ट्र मे नौकरी करबाक दौरान 15 साल तक शराबक नशा मे डूबल छलहू। मौत के करीब देखलाक बाद आखिरकार पति-पत्नी रणधीर झा आ अमृता नीक सैलरीक नौकड़ी छोड़ि मात्र शराबक लत छोड़ौबाक लेल सबदिनक लेल बिहारक दरभंगा आबि गेलाह।

    हालांकि डॉक्टर स ओ इलाज़ सेहो करवा रहलाह अछि। नितीश कुमारक शराबबंदीक नहि सिर्फ परिवार तारीफ़ कय रहल अछि बल्कि हुनका भगवान के दर्जा दैत एकहि टा बात दोहराबैत छथि, जान अछि त जहान अछि।