दरभंगा मेडिकल कॉलेजक छात्र छेड़खानीक आरोप मे केलनि सड़क जाम

    0
    456

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: दरभंगा मेडिकल कॉलेजक छात्र मेडिकल छात्राक संग स्थानीय लोकक द्वारा छेड़खानीक आरोप लगबैत शुक्रदिन साँझ मे हंगामा कय देलक। आक्रोशित मेडिकल कालेजक छात्र हॉस्पिटल रोड के जाम कय देलक। मौका पर पहुंचल पुलिस मामला के शांत करबौलक।

    सूत्रक अनुसार, रैगिंन के लय ई सबटा घटना घटल छल। नव सत्र मे दरभंगाक कोनो स्टूडेंट नामांकन लेने छल, जकर रैगिन कायल गेल। जकरा बाद छात्र ई बात अप्पन घर बतौलक, जाहि सं छात्रक परिजन कॉलेज आबि क हंगामा केलनि त अप्पन बदनामी छुपेबाक लेल सीनियर छात्र छेड़खानीक आरोप लगाकय बबाल मचा देलक।

    अहि क्रम मे दरभंगा एएसपी दिलनवाज अहमद मौका पर पहुंच कय उग्र छात्र के शांत करौलनि। ऑन सूत्रक मानी त तीन दिन पहिने एकटा मेडिकल छात्राक संग छेड़खानी भेल छल।