गिरफ्तारीकें विरोधमे टेम्पू चालकक हंगामा

    0
    261

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: जेल चौककें दोकानदार सं मारिपीट आ लूटपाटक आरोपमे गिरफ्तार टेम्पू चालककें समर्थनमे खूब हंगामा भेल। टेम्पू चालक एकजुट भए गिरफ्तारीक विरोध केलक। आक्रोशित चालक एकबेर फेर दोकानदारक संग मारिपीट पर उतारू छल। मौका पर पहुंचल पूर्व उपमहापौर सैयद माजिद हुसैन, मुजफ्फरपुर ऑटो रिक्शा कर्मचारी संघक अध्यक्ष एआर अन्नु व महासचिव मो. इलियास इलूकें हस्तक्षेप सं मामला शांत भेल।

    दोकानदार घायल चालकक उपचार आ केस हटेबाक वादा केलक। अहि सं पूर्व चालक टेम्पूक परिचालन बंद कय जमिकय हंगामा केलक। ओ चालककें निर्दोष कहि रहल छल ओकर रिहाई करेबाक मांग कए रहल छल। अहि सं टेम्पू परिचालन काफी देर तक बाधित रहल।

    ज्ञात हो कि मंगलदिन दोकानदार व टेम्पू चालक आपसमे उलझि गेल। दोकानदार आबिद हुसैन मारिपीट कय 25 हजार नकद लूटबाक आरोप लगबैत थानामे शिकायत केने छल। थाना सं एकटा युवककें हिरासतमे लेल गेल।