चाउरक अभावमे मध्याह्न भोजन बंद

    0
    298

    दरभंगा, मिथिला मिरर: शिक्षाक स्थितिमे सुधारक दावाक असर जमीन पर देखबाक लेल नहि भेटि रहल अछि। स्कूली बच्चा बिहारक मुख्यमंत्री तककें नाम नहि जनैत अछि। हद त ई अछि जे, जिलाक नाम सेहो बच्चाकेँ नहि बुझल अछि। उत्क्रमित मध्य विद्यालय जलवारा बालक उर्दूमे हेडमास्टर सहित 14 गोट शिक्षकमे पांच गोट शिक्षक मौजूद छल।

    शिक्षिका डॉली कुमारीकें दू वर्षीय प्रशिक्षणक लेल माघोपट्टी जेबा आ गिन्नी कुमारीके मातृत्व अवकाशमे रहबाक तथा शिक्षक प्रमोद कुमार सिंह, अरविंद कुमार, सोमैया कुलसूम, मो. जावेद अख्तर, मो.फैज अशरफ व अंजनी कुमार मिश्र तथा धनश्याम कुमारक प्रतिनियुक्ति वार्षिक मूल्यांकन काजक लेल कएल गेल अछि।

    वर्ग एक सं छह तकके बच्चा जमीन पर बैसिकय पढ़ैत अछि, जहन कि वर्ग एक सं आठ तकके बच्चाक लेल मात्र पांच कमरा उपलब्ध अछि। जाहिमे एकमे कार्यालय प्रकोष्ठ सेहो संचालित होइत अछि। मध्याह्न भोजनक विषयमे बताओल गेल जे, किछु दिन सं चावलक अभावमे भोजन नहि बनैत अछि।