एमपी-एमएलएकेँ चुनाव लड़ल व्यक्ति देलक विवाहित महिलाक माथमे सिंदूर

    0
    249

    दिल्ली,मिथिला मिरर-शिखा झाः कटिहारकेँ नगर थाना क्षेत्रक लड़कनिया टोलमे एगो सनकल व्यक्ति एकटा बियाहल महिलाके मांगमे सिंदूर लगा देलक। घटनाकँे बाद आक्रोशित भीड़ आरोपी अशोक भगतकेँ जुत्ताकेँ माला पहिरा सगरे मोहल्लामे घुमेलक और जमि कऽ पिटाइ कय देलक। सूचनाकेँ अनुसार आरोपी सांसद और विधायककेँ चुनाव निर्दलीय प्रत्याशीकँे रूपमे लड़ि चुकल अछि। एतबे नहि राष्ट्रपति चुनावमे सेहो आरोपी अपन उम्मीदवारी के बता रहल अछि।
    जहन आरोपी सँ पूछल गेल की ओ एहन हरकत कियैक केलक तऽ ओ कहलक कि उक्त महिला उनका पिछला पांच साल सँ जखन-तखन बेइज्जत कऽ दैत छल आ ओहिक बदला लेवाक लेल हम ओकरा मांगमे सिंदूर दए देलियैक। सनकल व्यक्ति एतय तक मानव अछि जे उक्त महिलाकेँ मांगमे सिंदूर देलाक बाद ओकरा प्रति ओहि महिलाक मन मे इज्जत आबि जाएत।