मधेपुरा मे युवक के पेट्रोल छिड़कि कय जिबैत जरेबाक कोशिश

    0
    263

    मधेपुरा, मिथिला मिरर: मधेपुरा के ग्वालपाड़ा मे मंगलदिन राति लगभग सात सं आठ बजेक बीच बेखौफ अपराधी युवक सं लूटपाट करबाक बाद पेट्रोल छिड़कि कय जान सं मारबाक प्रयास केलक। जानकारी के अनुसार अरार भित्ता टोल निवासी मनीष कुमार रेशना बाजार मे साइकिलक दोकान करैत अछि।

    सब दिक् जेना मंगलदिन संध्या मे दोकान बंद कय घर जा रहल छल। अहि क्रम मे अरार नहरक समीप पूर्व सं घात लगेने बैसल अपराधी मनीष के नहरिक कात मे लय जा लूटपाट केलक तथा शरीर पर पेट्रोल छिड़कि कय जान सं मारबाक कोशिश केलक।

    हल्ला केलाक बाद काफी संख्या मे लोक जुटि गेल। स्थानीय लोकक मददि सं मनीष के पीएचसी ग्वालपाड़ा आनल गेल, जतय प्राथमिक इलाक बाद मनीष के मधेपुरा रेफर कय देल गेल। एखन धरि ककरो द्वारा थाना मे आवेदन नहि देल गेल।