प्रकाशोत्सव पर श्रद्धा’क सैलाब, आय पटना पहुँचताह प्रधानमंत्री

    0
    272

    पटना, मिथिला मिरर: गुरु गोविंद सिंह महाराज’क 350’म प्रकाशोत्सव के मुख्य कार्यक्रम मे प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी बृहस्पति दिन पटना पहुंच रहल छथि। प्रधानमंत्री गांधी मैदान मे आयोजित मुख्य समारोह मे भाग लेताह। हुनकर आगमनक तैयारी पूरा कय लेल गेल अछि। मोदी लगभग तीन घंटा पटना मे रहताह।

    11.50 बजे प्रधानमंत्री विशेष विमान सं पटना एयरपोर्ट पहुंचताह, जतय राज्यपाल रामनाथ आ मुख्यमंत्री नीतीश कुमार हुनकर स्वागत करताह। ओतय सं बेली रोड होईत मोदी गांधी मैदान पहुंचताह। ओतय गुरुद्वारा मे मत्था टेकलाक बाद प्रधानमंत्री गांधी मैदान मे लंगर छकताह।

    मोदीक पटना दौरा के मद्देनजर सुरक्षाक इंतजाम पूरा कय लेल गेल अछि। सुरक्षाक दृष्टि सं 13 हजार पुलिस कर्मी, 1200 मजिस्ट्रेटक 24 घंटाक ड्यूटी लगाओल गेल अछि।