चेकिंग के दौरान ऑटो जब्द केलाक बाद चालक दल के बबाल

    0
    261

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: नियमक विरुद्ध अवैध रूपे ऑटो के पार्किंग, ओवरलोडिंग के संग-संग बिना वर्दी तथा बैच के 12 ऑटो चालक के ऑटो जब्त करबाक बाद शनिदिन बवाल मचि गेल। कार्रवाई स भड़कल चालक सब शहर के प्रमुख मार्ग मे ऑटो परिचालन ठप कय देलक। आरटीए तथा पुलिस प्रशासनक खिलाफ जमिकय नारेबाजी कायल गेल।

    भगवानपुर स स्टेशन, जेल रोड, बैरिया, पताहीं, रामदयालु नगर आदि रूट पर ऑटोक परिचालन बंद रहबाक कारने लोक के काफी परेशानीक सामना करय पड़ल।

    अहि सं पहिने आरटीए सचिव कुमारी पुनीता श्रीवास्तव भोर मे भगवानपुर चौक पर अवैध रूप स कायल गेल पार्किंग आ बिना वर्दी-बैच के चालकक ऑटो जब्त केनाय शुरू कय देने छलीह। जब्द कायल गेल ऑटो के सदर थाना परिसर भेज देल गेल। कार्रवाई स भगवानपुर स्टैंड मे हडकंप मचि गेल।

    कार्यवाई सं नाराज ऑटो चालक विरोध मार्च निकालैत कमिश्नरी गेट तक पहुँचल। स्थिति बिगड़ैत देखि आरटीएक टीम ऑटो संघ के संग बैठक केलक। संघ न्यूनतम जुर्माना समेत बहुतो मांग रखलक जकरा बाद समुचित कार्रवाईक आश्वासन भेटला पर चालक दाल दुपहर मे हड़ताल वापस लेलक।