जर्जर भेल पुल, कखनो भ’ सकैत अछि पैघ हादसा

0
650

सहरसा, मिथिला मिरर: सहरसा जिलाक सोनवर्षराज-सिमरी बख्तियारपुर सड़क कखनो बंद भ’ सकैत अछि। एहि क्षेत्रक शाहमौरा गामसँ तुलस्याही होइत भटौनी जाय वला रस्तामे तुलस्याही गाम स्थित तिलाब नदी पर बनल पुल जर्जर भ’ गेल अछि, जाहि कारण कखनो इ पुल खसि सकैत अछि। पुलक बीचोंबीच ढलाई टूटी गेल अछि। जाहिसँ कखनो कोनो पैघ दुर्घटना होयबाक संभावना बढ़ी गेल अछि। जर्जर भेल पुल ध्वस्त होयबाक कगार पर अछि। एहि रस्ते चलय वला लोक सहित वाहन चालक सभकेँ आवा-जाहीमे बेसिये परेशानिक सामना करय पड़ैत छनि। हरेक समय दुर्घटनाक आशंका बनल रहैत अछि। आजादीक बादसँ आई धरि एहि रस्ताक निर्माण नै कएल गेल। जाहिसँ एहि रस्ता पर सफर करबाक दौरान पता नै चलैत अछि जे एहि रस्तामे खाइध अछि या खाइधमे रस्ता। ओहि पर टूटल जर्जर भेल पुलिया, एहि पर लोकसभ अपन जान जोखिममे डालि चलबाक लेल विवश छथि। क्षेत्रक दर्जनों गामक लाखों आबादीकेँ सीमावर्ती प्रखंडक दूरी, एहि रस्ते जेबा पर बहुत कम भ’ जाइत छनि। जाहि कारण एहि रस्ता पर सभ दिन सैकड़ों दूपहिया आ चारि पहिया गाड़ी गुजरैत अछि।

जनतब होयत जे सोनवर्षासँ सिमरी बख्तियारपुर प्रखंड सहित बनमा आ सलखुआ प्रखंडकेँ जोडय वाली एन एच 107 पर मनौरी चौक स्थित पुल आ सुगमा चौक स्थित तिलाब नदी पर बनल दुनू पुल सालोंसँ  क्षतिग्रस्त होयबाक कारण वाहन परिचालन लेल बंद अछि। जाहि कारण एहि रस्ता पर वाहनक परिचालन बेसिये बढ़ी गेल अछि। बेसी गाड़ी–घोड़ा चलबाक कारण एहि रस्ता पर हिचकोला भरैत सफर करबाक लेल मजबूर छथि।

सड़क निर्माण विभाग बनल अछि उदासीन

आजादीक बादसँ आई धरि एहि क्षेत्रमे सैकड़ों रस्ता आ पुल पुलियाक निर्माण कएल गेल। मुदा एहि रस्ताक निर्माण आई धरि नै भ’ सकल। जाहिसँ एहि क्षेत्रक पैघ आबादी सालोसँ अपन जान जोखिममे डालि सफर करवा लेल मजबूर छथि। एहि प्रखंड क्षेत्रकेँ सिमरी बख्तियारपुर प्रखंड क्षेत्रसँ जोड़य वला रस्ता अखनि मुख्य सड़क मानल जा रहल अछि। मुदा एहि रस्ता पर टूटल आ जर्जर पुलियाक मरम्मत तक विभागकेँ द्वारा नहि कराओल जा सकल। ससमय पुलियाकेँ मरम्मैत नै होयत त’ कखनो कोनो पैघ हादसा भ’ जायत एहिसँ इनकार नै कएल जा सकैत अछि। तैँ संबंधित विभागकेँ जल्दिये एहि समस्या पर ध्यान देनाइ जरूरी छैक। ताकि लोक सभके आवा-जाहिमे कोनो दिक्कत नै होइन।