मूल्यांकनक बहिष्कार करए वला शिक्षकक दरमाहा रोकबाक निर्देश

    0
    287

    पटना, मिथिला मिरर: बिहार विद्यालय परीक्षा समितिक निर्देश पर विभिन्न जिलामे मूल्यांकन काजक बहिष्कार आ बाधा पहुंचाबय वला शिक्षककें खिलाफ कार्रवाई कएल गेल। जिलाधिकारी आ डीईओ कार्रवाई करैत सैकड़ो शिक्षकके खिलाफ एफआईआर दर्ज करबाक संग हजारो शिक्षकक वेतन सेहो रोकि देल गेल अछि।

    बिहार बोर्ड अध्यक्ष आनंद किशोर सभी डीएम आ डीईओकें 30 अप्रैल तक मैट्रिक आ इंटरक मूल्यांकनकें सुनिश्चित करेबाक निर्देश सेहो देलनि। सूत्रक अनुसार, राज्यक कुल 7 हजार 625 शिक्षकक वेतन रोकि देल गेल अछि। संगहि राज्यक कुल 8 हजार 950 शिक्षक सँ कारण बताओ नोटिस जारी कएल गेल अछि। जमुईके 712 आ पटनाक 40 शिक्षक पर एफआईआर दर्ज कायल गेल अछि, जहनकि गोपालगंजक 2 गोट शिक्षककें जेल पठा देल गेल अछि।