संसदमे सीताक जन्मस्थली ‘सीतामढ़ी’ पर बहस

    0
    265

    दिल्ली, मिथिला मिरर: बजट सत्रक अंतिम दिन सीताक जन्मस्थलीकें ‘आस्थाक विषय’ बतेल पर संस्कृति एवं पर्यटन मंत्री डॉ महेश शर्माकें  कांग्रेस घेरलक। अहि दौरान प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी सेहो संसदमे मौजूद छलाह। प्रश्नकालक दौरान भाजपा सांसद प्रभात झा बिहारक सीतामढ़ी क्षेत्रकें निर्विवाद जन्मस्थली बतबैत एकर विकासक योजनाके विषयमे पूछने छलाह। शर्मा कहलनि जे, केंद्र सरकार रामायण सर्किटमे सीतामढ़ीकें शामिल केलक अछि। ो कहलनि जे, सीताक जन्मस्थली आस्थाक विषय अछि। भारतीय पुरात्तव सर्वेक्षण लग सीतामढ़ीके कोनो ऐतिहासिक प्रमाण नहि अछि।

    अहि बीच कांग्रेसके दिग्विजय सिंह कहलनि जे, मंत्री सीताक जन्मस्थलीकें आस्थाक विषय बतौलनि, यानि कोनो प्रत्यक्ष प्रमाण नहि अछि। एएसआई सीतामढ़ीमे एखन तक खुदाई नहि केलक अछि। ऐहेनमे कोनो सबूत नहि कि सीतामढ़ी सीताक जन्मस्थली अछि।

    ओ कहलनि जे, जहन पूर्ववर्ती यूपीए सरकार रामसेतु पर एहेन स्टैंड रखलक त भाजपा खूब निंदा केलक। कांग्रेसी नेता दिग्विजय सिंह कहलनि जे, की सरकार लग सीताक स्वयंवरक कोनो सबूत अछि। ओ अहि विषय पर महेश शर्मा सँ माफी मांगबाक लेल कहलनि। सपा सांसद जया बच्चन, जदयूक अनिल कुमार साहनी आ कांंग्रेसक अंबिका साोनी सेहो मंत्रीक बयान पर आपत्ति जतएलनि।

    जाहिकेँ बाद मंत्री महेश शर्मा कहलनि जे, सीताक जन्मस्थली कोनो मुद्दा नहि। जवाबमे लिखल गेल अछि जे, वाल्मीकि रामायणक अनुसार सीता ईसा पूर्व दोसर शताब्दीमे मिथिला क्षेत्रमे जन्म लेने छली।