शराब नहि भेटला पर पूर्व सैनिकक मार्च, राज्यपाल के सौपलनि ज्ञापन

    0
    282

    पटना, मिथिला मिरर: बिहारक पूर्व सैनिक सब राज्य सरकार के खिलाफ मोर्चा खोलि देलक अछि।राज्य मे लागू शराबबंदीक नीति के खिलाफ शुक्रदिन राज्य भरि के पूर्व सैनिकक आक्रोश फूटि पड़ल।सरकारक फैसलाक खिलाफ बिहार राज्य पूर्व सैनिक संघ के तत्वाधान मे पूर्व सैनिक सब रैली निकाललनि, एकरा बाद सैनिक सब दानापुर के हाथीखाना मोड़ पर एकटा सभाक आयोजित केलाह। सभा के बाद सब पूर्व सैनिक राजभवन तक मार्च केलनि।

    अहि रैली मे पूरा बिहार स लगभग पांच हजार स अधिक पूर्व सैनिक मौजूद छलाह। पूर्व सैनिक शराब बंदी स मुक्त करबाक मांग कय रहल छलाह। पूर्व सैनिक सबहक़ कहब छलनि जे, सेना मे बहाली के समय शराब पीबाक आदत बनाओल जाइत अछि आ आब हम शराब पीबाक आदि भय चुकल छी त शराब नहि भेट रहल अछि।

    एहेन मे सैनिक के शारीरिक परेशानीक सामना करय पड़ि रहल अछि। सैनिक सब शराब बंदी के जारी रखबाक बात कहलनि मुदा सैनिक के अहि सं दूर रखबाक बात कहलनि। रैली के बाद पूर्व सैनिक सब राजभवन जा कय अप्पन समस्याक ज्ञापन राज्यपाल के सौपलाह।