गोली आ बंदूक बेचय बला फूल दोकानदार गिरफ्तार

    0
    405

    वैशाली, मिथिला मिरर: वैशाली पुलिस शुक्रदिन अन्तर जिला हथियार तस्कर के गिरफ्तार कयलक। जाहि मे अपराधी लग सं 30 राउंड गोली, 5 टा मोबाईल, एक टा मोटरसाईकिल आ 44 हजार नगद बरामद भेल। गिरफ्तार तस्कर चितरंजन चौरसिया औधोगिक थाना के जेठुई गामक रहनिहार अछि।

    पुलिस के तस्कर चितरंजनक बहुत दिन सं तलाश छल। पटना स लय क वैशाली के बहुतो थानो मे मामला चितरंजन के खिलाफ मामला दर्ज छल। चितरंजन कहियो फूल बेचय के काज करइ छल, मुदा धनिक बनबाक लेल ओ हथियार आ गोलीक तस्करी करय लागल। गुप्त सुचना के आधार पर औधोगिक थाना पुलिस गोली खरीदबाक नाम पर चितरंजन के घर पहुँचल आ चितरंजन के गिरफ्तार केलक।

    पुलिस के गिरफ्तार तस्कर बतौलक जे, बिहार पंचायत चुनाव 2016 के दौरान बहुतो पंचयात के प्रतिनिधी के गोली आ हथियार बेचल गेल छल। ज्ञात हो कि अहि साल पंचायत चुनाव के दौरान अलग- अलग जगह पर दू गोटे के गोली मारि कय हत्या कय देल गेल छल।