डीएमयू ट्रेन सं कटिकय दू गोट युवकक मौत, एक घायल

    0
    515

    दरभंगा, मिथिला मिरर: सोमदिन राति करीब 9 बजे दरभंगा के दोनार रेलवे गुमती के समीप डीएमयू लोकल ट्रेनक चपेट मे तीन गोट युवक आबि गेल, जाहि मे दू गोटेक मौत भय गेल जहन कि एकटा युवक के हालत गंभीर बताओल जा रहल अछि।

    सूत्रक अनुसार तीनू युवक मोबाइल फोन मे वीडियो देख रहलछल। बताओल जा रहल अछि जे, कान मे हेड फोन हेबाक कारने तीनू ट्रेनक आबय के आवाज नहि सुनि सकल आ अहि बीच दर्दनाक हादसा भय गेल।