हत्या, लूट आ अपहरण के घटना सं थर्रायल बेगूसराय

    0
    281

    बेगूसराय, मिथिला मिरर: बिहारक बेगूसराय मे सोमदिन अपराधी बेखौफ देखल गेल। जिला मे हत्या, अपहरण आ लूट के एकहि दिन मे अंजाम देल गेल। पहिल घटना मे साइकिल सवार अपराधी इंटर के छात्र अमन कुमार के गोली मारि कय हत्या कय देलक। वारदात चकिया थानाक सिमरिया इलाका के अछि। अहि मामला मे आरोपी सौरव के गिरफ्तार कायल गेल अछि।

    आरोपी सौरभ के कहब अछि जे, ओ कट्टा बेचबाक लेल आयल छल आ जांचक दौरान गोली चलि गेल। जाहि मे अमन नामकक छात्रक मौत भय गेल।

    दोसर घटना मे जिला सं बखरी मे फिरौतीक लेल छात्रक अपहरण करबाक मामला सामने आयल अछि। अपहृ्त छात्रक नाम छोटू अछि। छोटू के पिता उपेंद्र साह के कहब अछि जे, रविश आ ज्योतिष हमर लड़का के अपरहण केलक अछि। पिता के अनुसार रविश फोन कय कहलक अछि जे, खर्चा केला पर लड़का भेट जायत।

    अहि संबंध मे जिला के बखरी थाना मे मामला दर्ज कराओल गेल अछि। पुलिसक दावा अछि जे, लड़का मंद बुद्धि अछि। हालांकि पूरा मामलाक जांच कायल जा रहल अछि।

    तेसर घटना मे बेगूसराय-बलिया के जानीपुर मे अपराधी पिकअप वैन लूटि लेलक अछि। जानकारी के अनुसार राहुल कुमार नामक व्यक्ति मवेशी व्यापारी अछि आ ओ सहरसा सं मवेशी बेचिकय वापस आबि रहल छल, तखनहि स्कॉर्पियों सवार अपराधी हथियारक बल पर पिकअप वैन लूटि लेलक आ दूर-दराजक इलाका मे लय जा छोड़ि देलक।

    राहुल के अनुसार अपराधी रुपैया सेहो लुटलाक अछि। सोमदिन कोनो तरह थाना पहुंचकय ओ अहि संबंध मे मामला दर्ज करौलक। पिकअप वैन चालकक नाम रंजीत सिंह बताओल जा रहल अछि। पुलिस मामलाक जांच कय रहल अछि।