सीतामढ़ी मे करेंट लगला सं एकटा युवकक मौत, तीन घायल

    0
    279

    सीतामढ़ी, मिथिला मिरर: बिहारक सीतामढ़ी जिला के पुपरी थाना क्षेत्र मे सोमदिन धार्मिक जुलूस के दौरान करेंट लगला स एकटा युवकक मौत भय गेल तथा तीन गोटे अन्य झुलसि कय घायल भय गेलाह।

    बताओल जा रहल अछि जे, पैगम्बर मोहम्मद साहब के जन्मदिनक अवसर पर गंगटी गाम मे निकाललगेल जुलूसक दौरान कांच बांस मे झंडा लगाकय जा रहल चारि गोट युवक उच्च शक्ति के विद्युत तारक चपेट मे आबि गेल।

    अहि दुर्घटना मे चारु झुलसि गेल। जाहि मे गंभीर स्थिति मे घायल दू गोटे के सीतामढ़ी सदर अस्पताल मे भर्ती कराओल गेल। जतय दूनूक ईलाज चलि रहल अछि। ओतहि एकटा युवकक घटना स्थले पर मौत भय गेल।