गंगौली पंचायतक नवटोली बरहामे नवाह संकीर्तन महायज्ञक शुभारम्भ

    0
    625

    दरभंगा, मिथिला मिरर: मनीगाछीकें गंगौली पंचायतक नवटोली बरहा गाममे स्थित डिहबार बाबा स्थानमे सोमदिन दिन कलश यात्राक संग नवाह संकीर्तन महायज्ञक शुभारम्भ भेल। नवाहक बाद अष्टजामा संकीर्तनक सेहो आयोजन कएल जाएत आ तकरा बाद ग्रामीणक सहयोग सं भण्डारा सेहो कएल जाएत। बताओल जा रहल अछि जे, बाबाक ई मंदिर 114 साल पुरान अछि, आ एतए बहुत पहिनहि सं सब साल नवाह संकीर्तन होइत रहल अछि।

    अहि आयोजनमे सोमदिन भोरमे कलश यात्राक बाद 21 गोट कलश स्थापित कए भक्त गण द्वारा
    जय सिया सिया राम जय सिया राम महामंत्रक जाप शुरू कएल गेल। संकीर्तनक आयोजनमे समेत ग्रामीण आ युबा क्लब सरस्वती पूजा समिली नवटोली बरहा द्वारा सराहनीय योगदान देल जा रहल अछि।