मिथिलाक ‘पाग’ राष्ट्रिय धरोहर घोषित हो: कीर्ति आजाद

    0
    501

    दरभंगा, मिथिला मिरर: मिथिलांचल अंतर्गत दरभंगा संसदीय क्षेत्र स तीन बेर प्रतिनिधित्व करय बला सांसद आ पूर्व क्रिकेटर कीर्ति आजाद कहलनि जे, मिथिलाक ‘पाग’ के राष्ट्रीय धरोहर घोषित करबाक चाही।आजाद जोर दैत कहलनि जे, पाग के राष्ट्रीय धरोहरक रूप मे प्रतिष्ठित करबाक लेल हम अप्पन पूरा जोर लगायब। ओ पागक ऐतिहासिक एवं सांस्कृतिक विशिष्टता पर प्रकाश दैत कहलनि जे, एकर उत्पति प्राचीनकाल मे भेल छल, जहन विभिन्न शाही परिवारक लेल विशेष ताज प्रचलन मे आयल।

    आजाद कहलनि जे, पगड़ी आ टोपी के मिश्रित रूप ‘पाग’ के कालांतर मे मिथिलाक जन-जन अप्पन माँथ पर धारण कय एकरा अप्पन पहिचान से जोड़लनि। मिथिला मे आईयो मांगलिक अवसर पर लाल पाग पहिरबाक प्रचलन अछि। विद्वान पंडित उज्जर पाग पहिरैत छथि।

    कीर्ति आजाद मिथिला मिरर संग अप्पन खास बातचीत मे मिथिलालोक फाउंडेशन के ‘पाग बचाउ अभियानक’ सराहना केलनि आ अहि संस्थाक द्वारा निर्मित पाग मे प्रयुक्त तकनीकी आ बारीकि पर गौर करैत एकरा कर्नाटक के शाही परिवार एवं ओहि सांस्कृतिक प्रतीक सरताज (जे कि एकटा फैशन ब्रांडक रूप मे विकसित भय रहल अछि) से जोड़लनि।

    संसद के बाहर मिथिलाक सांस्कृतिक प्रतीक पाग के पहिर कय आजाद कहलनि जे, मिथिलालोक के तत्वावधान मे एक हस्ताक्षर अभियान चलाओल जाए आ मिथिला एवं मैथिलक सांस्कृतिक उत्थानक लेल भारतक संसदीय कार्यसमिति के पटल पर अहि पाग के राष्ट्रीय धरोहर घोषित करेबाक लेल आवेदन देल जाय।