मुजफ्फरपुर मे डायन बता कय महिला के पीटलक

    0
    313

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: मुजफ्फरपुर के मोतीपुर नारायणपुरक कुशाही गाम मे स्थानीय लोक द्वारा एकटा महिला के डायन कहि मारि पीट करबा आ बचाव मे आयल पुत्रक टांग तोड़बाक घटना प्रकाश मे आयल अछि। घटना के बाद रविदिन मोतीपुर थाना मे प्राथमिकी दर्ज कराओल गेल। घटना 22 नवंबर के अछि। अहि घटना मे गामक रंजीत पासवान, सुजीत पासवान तथा चंपा देवी के आरोपित बनाओल गेल अछि।

    प्राथमिकी मे पीड़ित मंजू देवी कहलनि जे, कि 22 नवंबर के राति करीब 10 बजे सब आरोपित घर मे घुसि गेल आ बच्चा पर तंत्र-मंत्र करबाक आरोप लगाबैत पीटनाई शुरू कय देलक। ई देखि पीड़िताक पुत्र रंजीत पासवान बचावक लेल आगू आयल त आरोपी पुत्र के सेहो बेरहमी सं पीटलक। जाहि मे ओकर एकटा टांग टूटि गेल।

    शोर भेला पर आसपासक लोक जुटल त सब आरोपी भागि गेल। अहि क्रम मे कान स सोनाक बाली तथा मंगलसूत्र सेहो छीन लेलक। पीड़िताक इलाज पीएचसी मे करोल जा रहल अछि। पीड़िता अप्पन जानक खतरा बताबैत कार्रवाई करबाक तथा सुरक्षाक मांग केलक अछि। थानाध्यक्ष अभय कुमार सिंह कहलनि जे, प्राथमिकी दर्ज कय घटनाक छानबीन कायल जा रहल अछि।