अंतर्राष्ट्रीय व्यापार मेला मे बिहार जीतलक स्वर्ण पदक

    0
    332

    दिल्ली, मिथिला मिरर-शिवेश झा: दिल्ली के प्रगति मैदान मे आयोजित 36वां अंतर्राष्ट्रीय व्यापार मेला के अंतिम दिन बिहारक लेल खुशखबरी लय क आयल। मेला मे आयोजित पुरस्कार वितरण मे बिहार एक बेर फेर सं परचम फहरेबा मे सफल रहल। ‘स्वच्छ भारत अभियान’ के सब सं स्वस्छ पवेलियन के रूप मे विहार के स्वर्ण पदक सं सम्मानित कायल गेल। ओतहि असम के रजत पदक सं सम्मानित कायल गेल।

    अहि तरहे राज्यक बेहतर पवेलियन वर्ग मे केरल के स्वर्ण तथा गुजरात के रजत पदक सं सम्मानित कायल गेल। पूर्वोत्तर राज्यक वर्ग मे मेघायलय के स्वर्ण पदक तथा डिजिटल इंडिया पवेलियन के लेल इलेक्ट्रॉनिकी और सूचना प्रौद्योगिकी मंत्रालय के थीम पवेलियन के स्वर्ण पदक देल गेल।

    बिहार पवेलियन मे मिथिला पेंटिंग, मिथिला सीक कला, गुरु गोविंद सिंह’क 350वां जयंती पर आयोजित होबय वला प्रकाश पर्व, चंपारण सत्याग्रह के एक शतक के अलावा बिहार सरकार आ मुख्यमंत्री नीतीश कुमार’क 7 निश्चय के प्रदर्शनी आकर्षण के केंद्र बनल रहल।