दिल्लीक गोल मार्केट स्थित मुक्तधारामे ‘अमली’क मंचन मंगलदिन सांझमे

    0
    285

    दिल्ली-मिथिल मिरर न्यूज डेस्कः लगातार एककें बाद एक तीन गोट शानदार प्रस्तुतिक बाद एक बेर फेर सं नाट्य संस्था ‘बारहमासा’क अगुआइमे समाजिक सरोकार पर चोट करैत नाटक ‘अमली’क मंचन एक बेर फेर सं दिल्लीक गोल मार्केट स्थित मुक्तधारामे मंगलदिन अर्थात 15 मार्च, सांझ साढ़े छह बजे सं होमय जा रहल अछि।
    रंगश्री द्वारा आयोजित तृतीय भोजपुरी नाट्य उत्सवमे अमलीक मंचन एकटा कौतूहलक विषय बनल अछि। हृषिकेश सुलभ कृत आ मुकेश झा निर्देशित नाटक अमली मे संगीत अनिल मिश्र आ राजीव पाठक कें छन्हि। मिथिला मिरर कें आजुक नाटकक मंचनक जानकारी दैत मैथिली नाट्य संस्था मैलोरंगक संस्थापक प्रकाश झा कहलनि जे जाहि तरहें अमलीक एक कें बाद सफल मंचन भय रहल अछि ओहि सं हमरा सबहक मनोबल बहुत बेसी बढ़ल अछि।
    दिल्ली-एनसीआरमे रहनिहार समस्त मैथिलजनकें आग्रह करैत प्रकाश कहला जे अपने लोकनि अपना कार्य सं किछु समय निकाली अमलीक मंचन अवश्ये देखी आ हमर पूरा टीम कें हौसला बढ़ावी।