हैदराबादमे पहिल लप्रेक संग्रह ‘प्रेमक टाइमलाइन’ पोथीक लोकार्पण

    0
    393

    गामक दलान सँ लगभग पाँच सय कोस दूर मैथिलीक लोकल परिवेश केँ ग्लोबल करैत भारतक सुदूर दक्षिण मे (हैदराबाद) मैथिली साहित्यक प्रतिनिधि मंच ‘देसिल बयना’क मासिक बैसार दिनांक 13/03/2016 केँ संस्थाक अध्यक्ष चंद्रमोहन कर्ण’क आवास पर उपस्थित साहित्यानुरागी सबहक बीच संपन्न भेल. बैसारक पहिल सत्र मे कविगोष्टिक आयोजन भेल जाहि मे चंद्रमोहन कर्ण, मनोज शांडिल्य, शारदा झा, विकाश झा अमर झा एवं शम्भुनाथ झा अपन-अपन कविताक पाठ केलैन आ अर्चनाज’क मधुर कंठ सँ फगुआक गीत गाउल गेल.
    गोष्टिक दोसर सत्र मे ‘नवारंभ’ सँ प्रकाशित मैथिलीक पहिल लप्रेक संग्रह ‘प्रेमक टाइमलाइन’क स्थानीय विमोचन सेहो भेल। नवतुरिया सबहक समवेत प्रयासक प्रतिफल अहि पोथी मे दस गोट हस्ताक्षरक कथा संकलित अछि जाहि मे सँ दू टा लप्रेककार, यथा विकाश झा आ शारदा झा, देसिल बयनाक सदस्य सेहो छथि। संस्था लेखक द्वय केँ पुष्पगुच्छ आ स्मृति-चिन्हक संग बधाइ आ भविष्य मे निरंतर उत्कृष्ट रचनात्मकताक लेल शुभकामना देलक। रचनाकार द्वय पोथी मे सँ किछु बीछल कथाक पाठ सेहो कएलनि.
    संस्थाक संयोजक/संस्थापक दयानाथ झा अपन उद्गार आ आशीर्वचन मे नवतुरिया केँ आगु आबि अपन साहित्य आ संस्कृति केँ अक्षुन्न रखबाक विह्वल इक्षा सोझा रखलनि आ श्रीमती अणिमा सिंह आ श्री प्रबोध नारायण सिंहक मादे बहुत रास संस्मरण साझा केलनि आ हुनक कृत्रित्व सँ सिखबाक बाट देखौलनि. उपस्थित सदस्य सब दू मिनटक मौन राखि पूण्य आत्माक प्रति अपन श्रधांजलि प्रकट केलैन.
    ओना त’ सब बैसार रमनगर रहैत अछि ,मुदा काल्हि एकटा अविस्मरणीय अनुभूति भेल. गामक माटि पानि सँ दूर देसिल बयना मात्र एकटा साहित्यिक मंच नहि अपितु एकटा एहन परिवार अछि जाहिठाम मैथिली सदिखन जिवंत ठाढ़ भेल अपना केँ समृद्ध करैत छथि. ‘देसिल बयना’क समस्त सदस्य लोकनि केँ एहि विलक्षण गोष्ठीक लेल कोटिशः बधाइ आ अध्यक्ष चंद्रमोहन कर्ण केँ विशेष रूप सँ धन्यवाद जे ए बैसारक एतेक सुन्दर अद्भुत आयोजन अपन आवास पर कएलनि.

    (समाद सूत्र-विकाश झा केर फेसबुक वाॅल सं )