डाॅ. चंद्रमणि झा’क दू गोट अप्रेक

    0
    364

    दिल्ली-मिथिला मिरर: मिथिलाक महानत्तम गीतकार, संगीतकार, गायक आ समालोचक डाॅ.चंद्रमणि झा’क अप्रेक आब मिथिला मिरर पर नियमित रूपे साप्ताहिक विशेषांक मे अवश्ये पढ़ी। मिथिला मिररक संपादक संग भेल बातचीतमे 13 मार्च अर्थात शनिदिन डाॅ.चंद्रमणि झा जनौलनि जे आब ओ नियमित रूपे मिथिल मिररक लेल लिखताह आ मां मैथिलीक प्रति अपन जे कर्तव्य छनि ओकर निर्वहन आओर बेसी सक्रियताक संग करताह। त आउ डाॅ. चंद्रमणि झा केर दू गोट ‘अप्रेक’ कें पढू आ प्रेमक पोखरि मे डूबकी लगवैत रहू।

    कचोट (अप्रेक-1)
    —————
    बहुत साहस जुटाकs रोहित गेल छल पूनम के ओहिठाम-बहाना रहै बितलाहा काल्हि ओकरा अनुपस्थिति में सर के द्वारा बताओल गेल केमिस्ट्री के परीक्षोपयोगी संभावित प्रश्नक सूची मंगबाक।पूनम सूची दैत कहने रहै एखन तs भोरे छै।अही बरंडाक चौकी पर बैसिकs उतारि लिअs रोहित ता’ हम मायके भानस-भात मे किछु मदति करैत छियनि।आधा घंटाक काज रोहित एक घंटा मे कैने रहै।कारण जे रहल हो एहि बीच पूनम दरबज्जा पर तीन-चारि बेरि ऐल रहै।सब बेर रोहित कोनो-ने कोनो प्रश्नक मादे पूनम सँ जिज्ञासा कs लियै।
    काल्हि साँझ मे रोहित सँ माय कहलकै रओ! तोरा संगीके ओहिठाम स रिसेप्सनक कार्ड ऐल छौ।रोहित गेल।नवदंपत्ति के सोफा पर बैसल देखि संगी लग जाकs कान मे कहलकै मोहन !तोँ बड़ भाग्यशाली छेँ,पूनम सन के जीवनसंगिनी भेलौ।रे रोहित ! आ ने एतs तोंही बैस ने हमर प्राण तs सुशीला मे अटकल रहै-जे ने करथि हमर पिताश्री।पूनमके दुनूक फुसफुसाहटि सं किछु आभास भेलै। मुस्कियाइत बाजल यौ रोहित !मोन मे जे रहै से खुलिकs बाजी।रोहित अपन कायरताक कचोट आइधरि सहि रहल अछि।
    (अव्यक्त प्रेम कथा)

    (अप्रेक-2)
    ——–
    रतिकांत जल्दी-जल्दी नहा रहल छल आ’ मोने-मोन बिहुँसि रहल छल।एम.ए.’क परीक्षा संपन्न भs गेल रहै आ’ आइ गाम जयबाक रहै।धरौरा बस स्टैंड पर उतरिकs रिक्सा ठीक कs रहल छल तावत् भरि हाथ लहठी आ’ माथ पर भरकरार लाल टुह-टुह सेनुर सँ भरल सिँउथ लेने नज़रि एलनि मझिली भौजीक अप्रतिम सुन्नरि बहिन कुमकुम जे अपना माय सँ हिनके दिस ताकिकs किछु बतिआइ छलीह ।दुनूक नज़रि टकरैल दुनू बिहुँसल एक-दोसराक
    समीप ऐल।झाजी ! कुमकुम बजलीह,हमर चिंता नहि करब,हमरो बsर अहाँ सनक तs नहि मुदा, सुनरे छथि। अहाँ बड़ मोन पड़ैत छलौं।
    रतिकांत बाजि नहि सकल जे भरि रस्ता हुनका संग उएह तs छलीह।
    (अव्यक्त प्रेम कथा)