दरभंगा मे हजारक नोट लेलक बृद्ध’क प्राण

    0
    270

    दरभंगा, मिथिला मिरर-निशांत झा: अप्पन 1000 के 13 गोट नोट के बैंक मे जमा करेबाक लेल पिछले दू दिन सं लगातार प्रयास करय वला 58 वर्षक एकटा बुजुर्ग किशन राम बैंक मे बहुत अधिक भीड़क कारने रुपैया त नहि जमा कय पाओल, मुदा अहि क्रम मे अप्पन जान गवा देलनि।

    दरअसल किशन राम अलीनगर के पंजाब नेशनल बैंक मे अप्पन खाता पर रुपैया जमा करेबाक लेल गेल छल, परंतु भीड़ देखि क वापस घर आबि गेल। छोट नोटक आभाव मे दोसर दिन फेर रुपैया लय बैंक पहुँच गेलाह। लंबा कतार आ जबर्दस्त भीड़ के ठेल्लम ठेल मे किशन राम भीड़ मे दबा गेलाह। मौके पर हुनका मूह सं खून निकलय लगलनि।

    सूत्रक अनुसार आनन फानन मे लोक हुनका इलाज़क लेल अस्पताल मे भर्ती करेलक परंतु हुनका बचोल नहि जा सकल। आखिरकार मंगलदिन भोर मे हुनकर मौत भय गेल।