समस्तीपुर मे बैंक ऑफ बड़ौदा’क ब्रांच मे लूट, विरोध करबा पर युवक के गोली मारि कय हत्या

    0
    309

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: बिहारक समस्तीपुर मे आपराधिक वारदात लगातार बढ़ि रहल अछि। मंगलदिन भोर मे अपराधी बैंक लूटबाक वारदात के अंजाम देलक। अहि दौरान लूटक घटनाक विरोध करबा पर अपराधी एकटा व्यक्तिक गोली मारि कय हत्या कय देलक। पुलिस अपराधिक खोज मे लागल अछि, मुदा एखन धरि कोनो सुराग नहि भेटल अछि।

    वारदात समस्तीपुर के दलसिंहसराय स्थित असीनचक गामक बैंक ऑफ बड़ोदा शाखा मे भेल अछि। बैंकक खिड़की तोड़ि कय अपराधी बैंक मे घुसल छल। अहि दौरान पास मे सुतल एकटा दोकानदारक नींद अचानक खुजल। युवक बैंकक समीप जाकय देखलक त अपराधीक नजरि युवक पर पड़ि गेल। जान के बाद अपराधी युवक के गोली मारि कय हत्या कय देलक।

    अनुमानक मुताबिक दोकानदार के हल्लाक आशंका के देखैत अपराधी गोली मारि देलक आ बाद मे लूटपाट के अंजाम दय भागि गेल। घटनाक जानकारी भेटतहि पुलिस इलाका के नाकेबंदी कय देलक अछि, मुदा अपराधिक सुराग एखन धरि नहि भेटल अछि।