भाजपा कोटा सं ‘विनोद-अर्जुन’ कें भेटलनि विधान परिषदक टिकट

    0
    346

    दिल्ली-मिथिला मिररः बिहार भाजपाक मुख्य प्रवक्ता आ बेनीपट्टी सं पूर्व विधायक विनोद नारायण झा आ बिहार भाजपा मत्स्यजीवि मंचक प्रदेश अध्यक्ष अर्जु सहनीकें विधान परिषदक रिक्त पड़ल पदक लेल पार्टी अपन उम्मीदवार बनौलक अछि। एक दिस विनोद नारायण झा केर विधान परिषदमे गेला सं बिहार भाजपामे उपेक्षित चलि रहल ब्राह्मण समुदायकें एकटा सशक्त प्रतिनिधि भेटत त दोसर दिस अर्जुन सहनीकें विधान परिषद पहुंचला पर मिथिलाक मल्लाह समाज सेहो अपन भागीदारी विधान मंडलमे देखताह।
    पार्टीक अहि निर्णय सं एक दिस जतय कार्यकर्ता लोकनिमे उत्साह देखल जा रहल अछि त दोसर दिस बिहार भाजपा पर ब्राह्मणकें हटेवाक जे कारिख लागि रहल छल ओकरा किछु हद तक पार्टी झपवामे सफल देखना जा रहल अछि। हालांकि सिर्फ एकटा चेहरा उतारि बिहारक भाजपा नेतृत्व अपन जिम्मेदारी सं नहि बचि सकत। हालांकि सूत्र सं किछु दिन पहिने जे जानकारी भेटल छल ओहिमे इ बात सामने आएल छल जे अहि बेर बिहार भाजपाक प्रदेशक कमान विनोद नारायण झा केर हाथमे जा सकैत छन्हि।
    चूंकि, विनोद नारायण झा बिहार भाजपाक वरिष्ठ नेता छथि आ प्रदेशमे पार्टीक मुख्य प्रवक्ता सेहो। त दोसर दिस पार्टीक सांगठनिक स्तर पर मिथिला सं नेतृत्वक जे शुन्यता बनि रहल अछि ओकरा भरपाई करबामे सेहो पार्टी सफल रहत। आब अहि बातमे एतेक दम अछि एकरा लेल त किछु समय प्रतीक्षा करय पड़त, मुदा विधान परिषदक दो गोट सीट पर पार्टी उपयुक्त व्यक्तिकें नामक घोषणा कऽ पार्टीक भीतर आलोचना सं बचवाक रास्ता निकालवामे सफल देखना जा रहल अछि।