जेडीयू सं शरद, आरसीपी त राजद सं जेठमलानी आ मीसा कैलनि ‘रास’क लेल नामांकन

    0
    304

    दिल्ली-मिथिला मिररः सोमदिन जेडीयू-आरजेडीक राज्य सभा पदक उम्मीदवारक रूपमे अपन नामांकन कैलनि। राष्ट्रीय जनता दलक कोटा सं पार्टीक अध्यक्ष आ बिहारक पूर्व मुख्यमंत्री लालू प्रसाद यादवक जेठ बेटी मीसा भारती आ देशक जानल-मानल वकील राम जेठमलानी अपन नामांकन पत्र दाखिल कैलनि त दोसर दिस जेडीयू दिस सं पार्टीक पूर्व राष्ट्रीय अध्यक्ष शरद यादव आ पार्टीक वर्तमान अध्यक्ष सह बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमारक करीबी आरसीपी सिंह सेहो अपन नामांकन दाखिल केलाह।

    नामांकनक प्रक्रिया मे बिहार पूर्व मुख्यमंत्री लालू प्रसाद यादव आ राबड़ी देवीक अलावे बिहारक वर्तमान मुख्यमंत्री नीतीश कुमार, उपमुख्यमंत्री तेजस्वी यादव, सूबेक शिक्षामंत्री अशोक चौधरी सहित पार्टीक तमाम आला नेता उपस्थित छलाह। मुख्यमंत्री नीतीश कुमारक बगलमे बैसल मीसा हुनका सं बहुत काल तक बातचीत करैत नजैर एैलीह। अपने कें बता दी जे भाजपा सं निष्कासनक बाद जेठमलानी राजदक कोटा सं राज्य सभा जेवाक तैयारी मे छथि त दोसर दिस लालूक जेठ बेटी आ पाटलिपुत्र सं लोकसभा चुनावमे रामकृपाल यादव सं हारल मीसा भारती सेहो आब पार्टीक पक्ष राज्य सभामे रखतीह।