भागलपुर मे आपसी विवाद मे युवकक हत्या

    0
    266

    भागलपुर, मिथिला मिरर: भागलपुर जिलाक हबीबपुर थाना क्षेत्रक ममेलीचक मुहल्ला मे रविदिन राति आपसी विवाद के लय क एकटा युवकक हत्या कय देल गेल। पुलिस सूत्रक अनुसार जिलाक मोहद्दीनपुर मुहल्ला निवासी मोहम्मद इशरासिल उर्फ सिंटू (35) के रविदिन राति ममेलीचक मुहल्ला निवासी फिरोज के संग कोनो बातक लेल विवाद भय गेल।

    सूत्रक अनुसार विवादक बाद फिरोज मोहम्मद इशरासिल पर लोहाक रॉड सं प्रहार कय देलक, जाहि सं ईशरासिल मौत भय गेल। घटना के बाद सं फिरोज फरार अछि। सूचना भेटलाक बाद हबीबपुर थाना मे फिरोज के खिलाफ मामला दर्ज कय फिरोजक तलाशी कायल जा रहल अछि।