पकिस्तान के हराकय भारत बनल चैंपियंस ट्रॉफी के बिजेता

    0
    352

    दिल्ली, मिथिला मिरर-शिवेश झा: एशियन चैंपियंस ट्रॉफी हॉकी के फाइनल मे भारतीय टीन पाकिस्तान के 3-2 के अंतर सं हरा देलक अछि। मैच के दौरान स्टेडियम में ‘भारत माता की जय’ के नारा लागल। रविदिन दिवाली के मौका पर भय रहल अहि मैच मे अहि सं पहिने, पाक दोसर गोल कय मैच के 2-2 सं बराबर कय लेलक। 18वां मिनट मे भारत के दिस सं पहिल गोल रुपिंदर पाल केलनि जहन कि 23वां मिनट मे दोसर गोल रमनदीप केलनि। भारत तेसर बेर अहि टूर्नामेंट के फाइनल मे जगह बनने छल।

    पाकिस्तान 26वां मिनट मे पहिल गोल केलक। मैच मे पाकिस्तान के पेनाल्टी कॉर्नर भेटल, मुदा पकिस्तान ओकरा गोल मे नहि बदलि सकल। दोसर हाफ के दोसर क्वार्टर मे भारत दिस सं निकिन थम्मैया तेसर गोल केलनि। अहि सं पहिने मैच के 38वां मिनट मे पाकिस्तान के लेल दोसर गोल अलीशाह केलनि। लीग मैच मे किछु दिन पहिने भारत पाकिस्तान के 3-2 सं हारने छल।

    पाकिस्तान सं ख़राब रिस्ता के बीच भारतीय खिलाड़ी पीआर श्रीजेश अहि साल 28 सितंबर क पकिस्तान के मैदान मे हरेबाक कसम खेने छलाह। सरहद पर सैनिकक बलिदान के याद करैत ओ कहने छलाह जे, हम एशियन चैंपियंस ट्रॉफी मे पाकिस्तान के हराबय मे जी-जान लगा देब। भारतीय हॉकी टीम पाकिस्तान सं मैच हारिकय अप्पन सैनिक के निराश नहि करात। खासकय जहन सैनिक बॉर्डर पर होबय वला फायरिंग मे अप्पन जान गंवाकय शहीद भय जाइत छथि।