बर्खाक पानि सं बिगड़ल दरभंगाक स्वरुप

    0
    317

    दरभंगा, मिथिला मिरर: मंगलदिन भोर सं मौसमक मिजाज बदलल अछि। तेज़ हवाक संग पानि पत्थर सं जतए लोककेँ गर्मी सं राहत भेटल, ओतहि शहरक सूरत बिगड़ि रहल अछि। शहरक निचला हिस्सामे सड़क पर पानि लागि रहल अछि। जाहि कारण आवाजाही प्रभावित भेल अछि। भोरमे मौसम खराब हेबा सं स्कूली बच्चाकेँ अधिक परेशानी उठाबएं पड़ैत अछि।

    वर्षाके कारण दरभंगा टावर, सीएम साइंस कॉलेज, नगर निगम, लनामिविवि, दरभंगा मेडिकल कॉलेज अस्पताल, लोक स्वास्थ्य अभियंत्रण कार्यालय, जिला परिवहन कार्यालय समेत विभिन्न सरकारी कार्यालय परिसरमे पानि लागि रहल अछि। ओतहि फैजुल्लाह खां, लक्ष्मीसागर, चूनाभट्ठी, गांधीनगर, कटरहिया, बलभद्रपुर, शुभंकरपुर समेत विभिन्न मोहल्लामे सेहो सड़क पर पानि लागि गेल अछि।

    बहुतो जगह नालाक पानि सड़क पर आबि गेला सं चलब कठिन अछि। अहिकेँ अलावा मुख्य सड़ककें छोड़िकए अन्य लिंक पथ पर जलजमाव अछि। एम्हर, ग्रामीण क्षेत्रमे सेहो वर्षाक कारण परेशानी बनल अछि। ओतहि किछु क्षेत्रमे खेतमे मकईकें फसलकें आंशिक क्षति भेल अछि। तेज हवाकें कारण आमकें सेहो नुकसान पहुंचल अछि।