मुजफ्फरपुरमे डायनक नाम पर महिलाकें पिआओल गेल मैला

    0
    288

    मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर: मुजफ्फरपुरकें बोचहां थाना अंतर्गत भगवानपुर गाममे एकटा महिलाकें डायन कहि कए पड़ोसी सब मैला पिया देलक। एकर विरोध करबा पर महिलाक संग मारिपीट सेहो कएल गेल। महिला सीजेएम कोर्टमे परिवाद दायर केलक अछि। सीजेएम परिवादकें सुनवाई पर राखल गेल अछि।

    पीडि़ता परिवादमे कहलक अछि जे, गामक मो. नूर हसनकें बेटा अक्सर बीमार रहैत छल। डॉक्टर सं इलाज नहि कराकए पड़ोसक गांवकें मौलाना सं झाड़-फूंक करायल जा रहल छल। मौलाना कहलक जे, ओकर पड़ोसन डायन अछि। ओ तंत्र-मंत्र कए देलक अछि। अहिकेँ लेल महिलाकेँ मैला पीयेनाइ जरुरी अछि। मौलानाके उकसेला पर 6 मई कए मो. नूर हसन, असमीतुल्लाह, असमेतारा, रहमत तारा उर्फ हिना आ रेहाना खातून महिलाकेँ पकड़ि कए मैला पीया देलक।

    एक दिस जतए लोक चांद आ मंगल ग्रह पर जेबाक प्रयासमे अछि, ओतहि दोसर दिस अंधविश्वासमे पकड़िकए एकटा महिलाक संग अहि तरहक अमानवीय करतूत सभ्य समाजक नाम पर कलंक अछि।