जयनगरमे जागरूकता रैलीक आयोजन

    0
    284

    मधुबनी, मिथिला मिरर: जयनगर नगर पंचायतमे आसन्न चुनावक लेल सोमवार कए शहरमे जागरुकता रैलीक आयोजन कएल गेल। निर्वाची पदाधिकारी सह अनुमंडल पदाधिकारी राघवेन्द्र सिंहक नेतृत्वमे अहि मतदाता जागरुकता रैलीक आयोजन कएल गेल छल। निर्वाची पदाधिकारी स्वं मोटरसाइकिल सं मतदाता जागरुकता रैलीक नेतृत्व केलनि।

    मोटरसाइकिल पर निकलल मतदाता जागरुकता रैलीमे पदाधिकारी, कर्मचारी एवं प्रखंड क्षेत्रक शिक्षक शामिल छलाह। मतदाता जागरुकता रैली पूरा शहरक भ्रमण करैत नगर पंचायत जयनगरके 14 वार्डमे 21 मई कए होबए वला चुनावमे मतदान करबाक अपील केलनि।

    जागरुकता रैलीमे शामिल सब मोटरसाइकिल पर पोस्टर साटि कए लोक सं अधिकाधिक संख्यामे अपन मताधिकारक प्रयोग करबाक आह्वान केलनि। जागरुकता रैलीमे डीएसपी सुमित कुमार, अवर निर्वाची पदाधिकारी कुमुद रंजन, प्रखंड शिक्षा पदाधिकारी दिनेश महतो, केआरपी सुधीर कुमार समेत दर्जनों शिक्षक भाग लेलनि।