मिथिला स्टूडेंट यूनियन फूँकलक पाकिस्तानी प्रधानमंत्री नवाज शरीफ’क पुतला

    0
    449

    दरभंगा, मिथिला मिरर: पाकिस्तान द्वारा सैन्य कैम्प उरि मे भेल आतंकी हमला के विरोध मे आक्रोशित ‘मिथिला स्टूडेंट यूनियन’ के सदस्य मंगलदिन दरभंगा मे पाकिस्तानी प्रधानमंत्री नवाज शरीफक पुतला दहन केलनि। संगहि भारतीय प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी स मांग केलनि जे, भारतीय जवानक शहादत बेकार नहि जाय ताहि दुआरे पाकिस्तान स कोनो तरहक व्यापारिक, आर्थिक तथा अन्य रिस्ता सं समझौता नहि हेबाक चाही।

    अहि कार्यक्रम मे संस्थाक वरिष्ठ कार्यकर्ता अमित सिंह मिथिला स्टूडेंट यूनियनक पक्ष रखैत कहलनि जे, एखन देश पर जे विपति आयल अछि एहि सं सब राजनीतिक दल तथा सामजिक संगठन प्रधानमंत्री’क संग अछि। पाकिस्तान के करारा जबाव देबा सं हमरा चूकबाक नहि चाही। मौका पर संस्थाक दरभंगा प्रभारी विद्याभूषण, अध्क्षय बिमल मैथिल, निकिता गुप्ता, अजित जी, अमित ठाकुर एवं अन्य बहूत रास कार्यकर्ता उपस्थित छलाह।