सुपौल मे देशी शराबक संग दू गोट अपराधी गिरफ्तार

    0
    253

    सुपौल, मिथिला मिरर: बिहार मे शराब बंदी कानूनक बादो शराब तस्करी रुकबाक नाम नहि लय रहल अछि। सुपौल जिला के त्रिवेणीगंज थाना क्षेत्र सं शुक्रदिन भोरे उत्पाद विभागक टीम 400 लीटर देशी शराब बरामद कय दू गोटेक गिरफ्तार केलक अछि।

    उत्पाद अधीक्षक किशोर कुमार कहलनि जे, सूचनाक आधार पर विभागक टीम भोरे-भोर हेमंतगंज गाम मे छापा मारि कय 400 लीटर देशी शराब बरामद केलक अछि। ओ कहलनि जे, मौका पर सं अहि मामला मे शामिल दू गोटेक गिरफ्तार सेहो कायल गेल अछि।