समस्तीपुर मे सड़क दुर्घटना मे शिक्षक समेत दू गोटेक मौत

    0
    516

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: समस्तीपुर जिलाक बंगरा थाना क्षेत्र मे भेल सड़क दुर्घटना मे एकटा शिक्षक समेत दू गोटेक मौत भय गेल तथा एकटा युवक घायल भय गेल। पुलिस सूत्रक अनुसार राष्ट्रीय उच्च पथ 28 पर बंगरा चौक के निकट शुक्रदिन राति मोटरसाइकिल आ साइकिलक टक्कर मे शिक्षक मोहम्मद आशिफ रेजा (30) आ साइकिल सवार राम अवतार महतो (55) के मौका पर मौत भय गेल।

    दुर्घटना मे शाहिद रेजा गंभीर रुप सं घायल भय गेल अछि। मो0 आशिफ मुजफ्फरपुर जिलाक सकरा थाना क्षेत्रक मझौलिया गाम निवासी छल जे, अप्पन रिस्तेदार शाहिद के संग मोटरसाइकिल स ताजपुर जा रहल छल। घायल शाहिद के समस्तीपुर सदर अस्पताल मे भर्ती कराओल गेल अछि।