अवसाद मे आबि कय डॉक्टर केलनि आत्महत्या

    0
    559

    पटना, मिथिला मिरर: राजधानी पटना मे एकटा डॉक्टर फांसी लगा कय खुदकुशी कय लेलक अछि। घटना पटना के सिटी इलाका बहादुरपुर थाना क्षेत्रक राजेन्द्र नगर रोड नम्बर 13 बी के अछि।

    परिजन घटना के जानकारी पुलिस के देलक अछि जकरा बाद पुलिस मौका पर पहुंच कय लहाश के कब्ज़ा मे कय पोस्टमार्टम के लेल नालंदा मेडिकल कॉलेज पठा देलक अछि। मृतक के पहिचान डा. विरेन्द्र कुमार के रूप मे कायल गेल अछि जे नवादा जिलाक वारसलीगंज पीएचसी मे पदस्थापित छलाह।

    खुदकुशी के कारण के एखन धरि नहि पता चलल अछि। पुलिस मामलाक छानबीन मे जुटि गेल अछि।डॉक्टर विरेन्द्र कुमार के कोनो संतान नहि छलनि, आशंका जताओल जा रहल अछि जे अवसाद मे आबि कय चिकित्सक खुदकुशी कय लेलनि।