कांग्रेस केलक महागठबंधन मे एकटा कोऑर्डिनेशन कमेटी’क मांग

    0
    250

    पटना, मिथिला मिरर: वरिष्ठ कांग्रेसी नेता आ मंत्री अवधेश कुमार सिंह महागठबंधन के सफल संचालन के लेल तीनु दलक एकटा कॉडिनेशन कमेटी बनेबाक मांग केलनि। ओ कहलनि जे, मुख्यमंत्री नीतीश कुमार महगठबंधन के सर्वमान्य नेता छथि, मुदा घटक दलक कोनो भी नेता किछु बाजि लैत अछि।

    अवधेश सिंह कहलनि जे, आलाकमान के राहुल गांधी के खिलाफ लालूजी के बयानक संज्ञान लेबाक चाही। लालू यादव महागठंधन के संग देशक पैघ नेता छथि, ओ कोण संदर्भ मे बजलाह हमरा एकर जानकारी नहि अछि।

    आरजेडी सुप्रीमो द्वारा आपत्तिजनक टिप्पणी के जानकारी स इंकार करैत ओ कहलनि जे, आलोचना स्वाभाविक अछि, मुदा सियासत मे अपमानक लेल कोनो जगह नहि। एम्हर जदयू के बयान पर प्रतिक्रिया दैत मंत्री कहलनि जे, राजद के वरिष्ठ नेता रघुवंश प्रसाद सिंह कहलनि जे, महागठबंधन के कोनो प्लेटफॉर्म नहि अछि, लिहाजा ओ जनता के सवाल के कतय उठौताह?