मुजफ्फरपुरक घटना : मिस्ट्री वुमेन मधुक गिरफ्तारी सीबीआइ लेल बनल चुनौती

0
708

मुजफ्फरपुर, मिथिला मिरर : बालिका गृह कांडमे जेलक हवा खा रहल ब्रजेश ठाकुरक  राजदार मधुकेँ तलाश सीबीआइ तेज क’ देलक अछि। ओकर सभ संभावित ठिकानाकेँ पता लगा छापेमारी करबाक कवायद क’ रहल अछि। कहल जा रहल अछि जे मधुकेँ गिरफ्तारीक बाद अनेको महत्वपूर्ण बातक पता लागत। अखनो कतेक एहन बात अछि जेकर जवाब सीबीआइकेँ चाही। मधु, ब्रजेशक सबसँ करीबी मानल जाइत अछि। मधुक संग ब्रजेशके पारिवारिक, अखबार विज्ञापनक मामला होय आकि बालिका गृह आ सेवा संकल्प अथवा विकास समितिक मामला मधुसँ किछु छिपल नहि छल। बालिका गृह प्रकरणमे मधुकेँ पकड़ल जेबाक बाद एहि पूरा घटनाक्रमक पटाक्षेप होयबाक आसार अछि। ब्रजेश ठाकुरक सभसँ करीबी राजदार मधुकेँ समाज कल्याण विभागमे दबदबा छलनि। अधिकारी सभक संग कतेको  पैघ नेता आ जनप्रतिनिधि लोकनिसँ मधुक करीबी संबंध छल जकर ओ सदिखन फायदा उठबैत रहलीह। बताओल जा रहल अछि जे मधु नित दिन कलेक्ट्रिएट परिसरक विभिन्न विभागमे आन-जान करैत  देखल जाइत छलीह। मधुक गिरफ्तारी लेल सीबीआइकेँ एकटा विशेष टीम काज क’ रहल अछि।  एहि टीमकेँ सीबीआइक वरीय अधिकारी महत्वपूर्ण दिशा-निर्देश देलनि अछि जे कोन तरहसँ आगूक कार्रवाई करबाक छनि।  शातिर मधुक गिरफ्तारी चुनौती बनल अछि। संभावना जताओल जा रहल अछि जे कतेको राज्यमे नेटवर्कक फायदा उठा अखनि तक मधु पुलिससँ बचि रहल छथि।