कोर्टमे पेशीक दौरान कुख्यात गैंगस्टर संतोष झाकेँ गोली मारी भेल हत्या

0
672

सीतामढ़ी, मिथिला मिरर :  सीतामढ़ी सिविल कोर्टमे पेशीक दौरान अपराधि कुख्यात गैंगस्टर संतोष झाकेँ गोली मारी हत्या क’ देलक। अपराधि गैंगस्टर संतोष झाकेँ कोर्ट परिसरमे गोली मारी फरार भ’ गेल। एहि हमलामे  संतोष कुमार नामक सिविल कोर्टकर्मी सेहो जख्मी भ’ गेल। घटना तखन भेल जखन संतोष झा सीजेएम कोर्टमे पेशीक बाद बाहर निकलैत छलाह। बताओल जा रहल अछि जे तीनटा बदमाश बीस राउंड गोली चलोलक आ दूटा बदमाश फरार भ’ गेल आ एकटा बदमाश आर्म्सके साथ पकड़ल गेल। जानकारीके मुताबिक संतोष झाके पहिल गोली हुनका माथामे आ दोसर गोली सीनामे लागल। गोली लगिते संतोष झाकेँ मौत भ’ गेलनि, तैयो पुलिस आनन-फाननमे अस्पताल ल’ गेल जतय डॉक्टर मृत घोषित क’ देलक। घटनाक बाद कोर्ट परिसरके पुलिस छावनीमे तब्दील क’ देलक अछि। किछु दिन पहिने संतोष झा गैंगक शूटर अभिषेक झाके सेहो अपराधि एहि तरहें मोतिहारी अनुमंडल न्यायालयमे गोली मारी हत्या क’ देने छल।तहिना संतोष झाके राईट हैंड दीपंद्र पाठकके सेहो गोली मारी हत्या भेल छल। संतोष झा जेलमे बंद छलाह आ हुनका ऊपर अनेकों संगीन वारदातकेँ अंजाम देबाक आरोप छलनि । संतोष झा जेलके अंदरसँ अपन गैंग चलबैत छल। बतादी जे दरभंगा डबल इंजीनियर हत्याकांडमे संतोष झा गैंगक हाथ छल। पछिला साल पुलिस कोलकाताक एकटा फ्लैटसँ संतोष झाकेँ गिरफ्तार केने छल। बिहारमे लगभग तीन दर्जनसँ ज्यादा मामलामे आरोपी संतोष झा अखनि जेलमे बंद छल।