घर मे धुसि कऽ अंधाधुंध गोलीबारी मे तीन गोटक मौत आ दू गोटेक हालत गंभीर

0
170

मिथिला मिररः शुक्रदिन राति करीब साढ़े नौ बजे दो गोट मोटरसाइकिल पर सवाल करीब चारि गोटे मुजफ्फरपुरक मारवाड़ी उच्च विद्यालयक निकट वकील सैयद कासिम उर्फ डाॅलर केँ घर मे घुसि कऽ जमीन करोबारी आशुतोष शाही आ अन्य चारि गोटे केँ गोली सँ छलनी कऽ देलक। अपने केँ बता दी जे एहि घटना मे आशुतोष शाही सहित तीन गोटेक मृत्यु भऽ गेल जखन कि अन्य दू गोटे घायल अवस्था मे अस्पताल मे भर्ती छथि। घटनाक बाद पूरा इलाका मे अफरा-तफरीक माहौल बनि गेल।
पुलिस टीम द्वारा प्रारंभिक सूचनाक आधार पर देर राति छापा पड़ैत रहल आ ओहि क्रम मे शहरक एकटा नमहर प्रापर्टी डीलरर सहित चारि गोटेकेँ हिरासत मे लेल गेल आ सभ सँ पूछताछ चलि रहल अछि। ओमहर पुलिस टीम द्वारा ओहि इलाकाक मोबाइल टावरक इंपिंग कऽ ओहि समय फोनक आवाजाही पर नजरि राखल जा रहल अछि जखन कि किछु मोबाइलकेँ सर्विलांस पर सेहो राखल जेबाक बात सोंझा आबि रहल अछि।
बदमाशक मुख्य निशाना पर आशुतोष शाही छलाह। अपराधी द्वारा घरक भीतर आ बाहर आॅटोमेटिक पिस्टल सँ ताबड़तोड़ करीब 30 राउंड गोलीबारी कयल जेबाक बात सामने आबि रहल अछि। घटना मे आशुतोष शाहीक संग-संग हुनक दू गोट निजी सुरक्षागार्डक सेहो निधन भऽ चुकल अछि जखन कि वकील सहित अन्य एकटा व्यक्ति अस्पताल मे भर्ती छथि। अपनकेँ बाता दी जे आशुतोष शाही सेहो जमीन कारोबारी छलाह आ हुनका पूर्व मे सेहो जान सँ मारबाक धमीक भेटल छलनि। पूरा मामलकेँ पुलिस गंभीरता पूर्वक देख रहल अछि।