संगीत शिक्षक आ नाबालिग शिष्याक अंतरंग वीडियो वायरल मामला मे पुलिसक कार्रवाइ

0
179

मिथिला मिररः बेगूसराय जिलाक तेघड़ा थाना क्षेत्रक एकटा गाम सँ गुरू-शिष्य परंपरा केँ तार-तार करबाक एकटा मामला सामने आबि रहल अछि। एहि घटना मे दुष्कर्मी गुरू किशुनदेव चौरसिया आ वीडियो प्रसारित करय बला दिलीप पोद्दार, रामयतन पासवान आ रविन्द्र पासवान केँ आरोपित बनाओल गेल छल।
की छैक पूरा मामला ?
तेघड़ा थाना क्षेत्रक एकटा गाम मे संगीत शिक्षक किशुनदेव चैरसिया पर ई आरोप लागि रहल अछि जे ओ अपन नाबालिग शिष्या केँ मंच पर गाबय केँ मौका देबाक नाम पर ओहि नाबालिग संग शारीरिक संबंध बना रहल छलाह। ओहि अंतरंग समय मे किछु ग्रामीण दिलीप पोद्दार, रामयतन पासवान आ रविन्द्र पासवान ओहिठाम पहुँच जाइत छथि आ ओहि क्षणक वीडियो शूट कऽ ओकरा सोशल मीडिया पर वायरल कऽ दैत छथि। एतबे नहि वीडियो शूट भेलाक बाद ओहिठाम मारा-पीटीक घटना सेहो होइत अछि। एहि घटनाक बाद इलाका मे सनसनी पसरि जाइत अछि।
एहि घटनाकेँ प्रकाश मे अयलाक बाद पीड़िताक मेडिकल जांचक बाद न्यायालय मे 164 केँ तहत बयान सेहो दर्ज कराओल गेल अछि। शुक्रदिन एहि वीडियो केँ वायरल होइत देरी एसपी स्वयं तेघड़ा डीएसपी डाॅ. रविन्द्र मनोहर प्रसाद आ मुख्यालय डीएसपी निशीत प्रियाक नेतृत्व मे एकटा टीम पीड़िताक गाम पहुंचल आ ओहिठाम गिरफ्तारी आ आत्मसमर्पण लेल नामजद आरोपीक किछु परिजन केँ उठौलक।
ग्रामीण सभकेँ गुरू-शिष्याक बीच संबंधक छल संदेश
संवाददाता सभसँ बातचीत करैत एसपी कहलनि जे ग्रामीण सभकेँ गुरू-शिष्याक बीच अनैतिक संबंधक जानकारी पहिने सँ छल आ ओ सभ एहि ताक-झांक मे छलाह जे कखन गुरू-शिष्या एकठाम भेटत। एहि क्रम मे जखन गुरू-शिष्या अंतरंग अवस्था मे पाओल गेलथि तँ ग्रामीणक द्वारा वीडियो शूट कयल गेल आ तकरा बाद दुनू गोटेकेँ नंगटे कऽ मारल-पीटल सेहो गेल।