तटबंध’क भीतर साधनक कमी सं विद्यालयक हाल बेहाल

    0
    282

    सुपौल, मिथिला मिरर: सरकार भले ही शिक्षा व्यवस्था कें मजबूत हेबाक दावा करैत हो, मुदा सुपौल जिलाक सरकारी स्कूलक जमीनी हकीकत किछु और अछि। स्कूलक तस्वीर मे व्यवस्थाक सत्यता साफ झलकि रहल अछि। संसाधनक अभाव व्यवस्था पर भारी पड़ि रहल अछि। लिहाजा नौनिहालक भविष्य दांव पर लागि गेल अछि।

    एहने तस्वीर सुपौल जिलाक कोसी नदीक बीच मरौना प्रखंड स्थित घोघड़रिया पंचायत के उर्दू उत्क्रमित मध्यविद्यालय खुखनाहा टोल, किशनपुर प्रखंड के दुबियाही पंचायत स्थित प्राथमिक विद्यालय बेलागोठ, प्राथमिक विद्यालय पंचगछिया आदि कें अछि। अहि स्कूल के एकटा सड़क तक नहि अछि। नाव व पगडंडी के सहारे शिक्षक व बच्चा स्कूल अबैत-जाइत अछि।

    कोसी नदीक बीच रहलाक कारण अहि स्कूल सं शिक्षक अक्सर गायब रहैत अछि। बच्चा कें दुपहरिया मे भेटय वला मध्याह्न भोजन कहियो काल भेटैत अछि। स्कूल के नाम पर एकटा टूटल-फूटल खोपड़ी मे वर्ग संचालित होइत अछि। स्कूल मे संसाधनक घोर अभाव अछि।