सुसाशनमे फेर चलल गोली, राजद नेताक भेल हत्या

0
492

समस्तीपुर, मिथिला मिरर : बिहारमे आपराधिक घटना किछु बेसिये बढ़ल जा रहल अछि। दिन प्रतिदिन अपराधी सभक मोन बढ़ल जा रहल अछि। एहन कोनो दिन नै बितैत अछि जाहि दिन बिहारसँ खून खराबाकेँ खबरि नै अबैत अछि। लगैत अछि जेना बिहार अपराधक नगरी बनि गेल अछि। बिहारक मिथिला क्षेत्र सेहो एहिसँ बाँचल नै अछि। हालही भेल समीर हत्याकांड होई वा शाही हत्याकांड या मधुबनीक रेप कांड वा दरभंगाक दहेज हत्याकांड नित नव नव एहन तरहक घटना मोन दुखित करैत अछि। जेना लगैत अछि आब पुलिस मात्र मूकदर्शक बनि रहि गेल अछि। अपराधी सरेआम अपराध केने जा रहल अछि आ पुलिस प्रशासन सुतल अछि, किछु एहने हाल अछि सम्पूर्ण बिहारक।  आजुक घटना समस्तीपुर जिलाक अछि। समस्तीपुर जिलाक राजद नेता आ पूर्व जिला परिषद उपाध्यक्ष रघुवर रायकेँ गोली मारी हत्या क’ देल गेल। वृहस्पतिदिन भोरमे अपराधि सभ एहि घटनाकेँ अंजाम देलक। हुनक नाजुक स्थितिकेँ देखैत आनन फाननमे दरभंगा ल’ जायल गेल आ एकटा निजी अस्पतालमे भर्ती कराओल गेल मुदा बचाओल नै जा सकल। डॉक्‍टर मृत घोषित क’ देलनि। एहि घटनाकेँ बाद इलाकामे बहुत बेसी तनाव बढ़ी गेल अछि। ओतहि आक्रोशित लोक सभ दरभंगा- समस्तीपुर मुख्य मार्गकेँ बंद क’ देलनि। एतबे नहीं कालिह राइत सेहो समस्‍तीपुर जिलाक वीभूतिपुरमे एकटा युवककेँ गोली मारि हत्‍या क’ देलक। घटनाकेँ अंजाम तखन देल गेल जखन ओ युवक सुतल छलाह।

एसपी हरप्रीत कौर घटनाकेँ पुष्टि करैत कहलीह जे आन दिन जेना रघुवर राय अपन कल्याणपुर स्थित आवाससँ भोरमे टहलबाक लेल निकलल छलाह। मौसम खराब हेबाक कारण किछु विलंबसँ निकलल छलाह। एहि दौरान एकटा सुनसान जगह पर पहिनेसँ घात लगा अपराधि हुनका पर फायरिंग शुरू क’ देलक। गोली मारलाक बाद अपराधी सुनसान रस्ते मोटरसाइकिलसँ भागी गेल। राजद नेता रघुवर रायकेँ हुनक समर्थक लोकनि सीधे दरभंगा ल’ गेलाह, जतय हुनका मृत बता देल गेल। पुलिस घटनास्थल पर पहुँच मामलाक पड़तालमे जुटी गेल अछि। ओमहर मृत्युक सूचना भेटते लोक सभ सड़क पर उतरि गेलाह आ समस्तीपुर-दरभंगा मुख्य सड़क जाम क’ देलनि। लोकसभ पुलिसकेँ खिलाफ नारेबाजी क’ रहल छथि। पुलिस आक्रोशित लोक सभकेँ समझेबाक कोशिश क’ रहल अछि। इलाकामे तनाव देखैत पुलिस शहरक सुरक्षा बढ़ा देलक अछि। ओतहि अपराधी सभक गिरफ्तारी लेल छापेमारी क’ रहल अछि।

ओमहर समस्तीपुरक विभूतिपुर थाना क्षेत्र भुसवर पंचायत अंतर्गत बसौना गाममे बुधदिन राइत अज्ञात अपराधि सभ अर्जुन महतो उर्फ बासठ महतोके हत्‍या क’ देलक। घटनाक समय महतो अपन बथान पर खाना खा सुतल छल। एहि दौरान बोलेरो पर सवार भ’ आयल अपराधि ताबड़ तोड़ गोली चला वारदातकेँ अंजाम देलक। गोलीक आवाज सुनि हुनक परिजन पहुँचलाह। अर्जुनकेँ इलाज लेल प्राथमिक स्वास्थ्य केंद्र ल’ गेलाह। जतय डॉक्टर हुनका मृत घोषित क’ देलनि। विभूतिपुर थाना पुलिस मौका-ए-वारदात पर पहुँच जाँच क’ रहल अछि। हालाँकि एहि मामलामे अखनि धरि कोनो सुराग नै भेटल अछि। हत्या कोन कारणसँ भेल एकर कोनो जानकारी पुलिस लग नै छनि। 55 वर्षीय अर्जुन एकटा मध्यम वर्गीय किसान परिवारसँ छथि। पूर्वसँ जमीनी विवाद सेहो चलि रहल छनि। थानाध्यक्ष अमित कुमार लाशकेँ पोस्टमार्टम लेल भेज देलक अछि।

आखिर अपराधी एतेक बेखौफ कोना भ’ रहल अछि जे 24 घंटाकेँ भीतर दूटा घटनाकेँ अंजाम द’ देलक। की बिहारमे पुलिस तंत्र सुतल अछि। की एहनमे मुख्यमंत्री सुसाशनकेँ दावा क’ सकैत छथि। की एहन विधि व्यवस्थामे लोक सुकूनसँ अपन जिनगी जीब सकैत अछि।