समस्तीपुर मे अंचल प्रभारी घूस लैत गिरफ्तार

    0
    285

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: बिहारक समस्तीपुर मे मो0 मोहिउद्दीननगर अंचल कार्यालय के प्रभारी सीआइ मोहन साह के निगरानी विभागक टीम आय भोर मे हुनकर आवास सं 20 हजार रुपैया घूस लैत गिरफ्तार केलक अछि। गिरफ्तारीक बाद प्रभारी सीआइ के पूछताछक बाद टीम अप्पन संग पटना लय गेल। मोहन साह किछु वर्ष पूर्व सेवानिवृत हेबाक बाद फिलहाल अनुबंध पर काज कय रहल छलाह।

    जानकारीक अनुसार प्रखंडक संजय त्रिवेदी नामक युवक निगरानी विभाग के दाखिल खारिजक एवज मे प्रभारी सीआइ द्वारा घूस मांगय के बात कहने छलाह। अहि के बाद निगरानीक टीम दबिश दय शुक्रदिन भोरे प्रखंड परिसर स्थित मोहन साह के आवास पर संजय त्रिवेदी सं 20 हजार रुपैया घूस लैत गिरफ्तार केलक। छापेमारीक नेतृत्व निगरानी विभागक डीएसपी विनय कुमार सिंह कय रहल छलाह।