एकटा और पत्रकारक पूर्णविराम

    0
    295

    समस्तीपुर, मिथिला मिरर: बिहार मे पत्रकार अपराधिक निशाना पर एखनहु अछि। मुदा सरकार के अहि सं कोनो मतलब नहि। बिहार मे 6 महिनाक भितर लगभग आधा दर्जन पत्रकारक हत्या कय देल गेल अछि, जे मानवताक संग-संग लोकतंत्र के चारिम स्तंभक लेल खतरा अछि। मंगलदिन  साँझ मे समस्तीपुरक विभूतिपुर मे अपराधी एकटा दैनिक अखबारक पत्रकार के गोली मारि कय हत्या कय देलक।

    सूत्रक अनुसार बोलेरो पर सवार अपराधी सरेशाम पत्रकार के गोली सं भूनि देलक। घटना करीब साढ़े छह बजेक अछि। अपराधी ताबड़तोड़ 7 गोली चलेलक, जाहि सं पत्रकारक मौत घटना स्थले पर भय गेल। संवाददाताक नाम ब्रजकिशोर ब्रजेश अछि, जे, एकटा दैनिक अखबारक स्थानीय संवाददाता छलाह। अपराधी विभूतिपुर के सलखन्न गाम मे अहि घटना के अंजाम देलक अछि।

    एसपी नवल किशोर सिंह कहलनि जे, ई आपसी रंजिशक मामल भय सकैत अछि। पूरा मामलाक जांच कायल जा रहल अछि। घटनाक बाद स्थानीय लोक मे काफी तामस व्याप्त अछि। गौरतलब अछि जे, किछु साल पहिने जिलाक रोसड़ा मे विकास रंजन के गोली मारि कय हत्या कायल गेल छल।

    किछु महिना मे अपराधी बिहारक करीब आधा दर्जन पत्रकार के निशाना बना चुकल अछि। सासाराम मे पत्रकार धर्मेंद्र सिंह आ सीवान मे राजदेव रंजनक हत्या भय चुकल अछि।