सहरसा मे छापेमारी करबाक दौरान पुलिस पर हमला, राइफल आ कारतूसक लुईट

    0
    509

    सहरसा, मिथिला मिरर: बिहारक सहरसा मे आरोपी के गिरफ्तार करबाक लेल गेल पुलिसक टीम पर जानलेवा हमला कायल गेल। अहि दौरान पुलिसक टीम सं गामक लोक राइफल आ गोली छीन लेलक।घटना सदर थाना क्षेत्रक कहरा राम टोलक अछि।

    गाम मे सोमदिन राति एकटा अभियुक्तक छापामारी करबाक लेल पुलिसक टीम गेल छल। अहि दौरान गामक लोक जमि कय पुलिसक पिटाई कय देलक। हमला मे घायल किछु पुलिसकर्मीक स्थिति नाजुक अछि आ इलाजक लेल सदर अस्पताल मे भर्ती कराओल गेल अछि।

    घटनाक बाद पुलिस राति भरि छापेमारी केलक जाहि मे लूटल गेल राइफल बरामद कय लेल गेल, मुदा कारतूस बरामद नहि भेल। अहि हमला मे आधा दर्जन पुलिसकर्मी घायल भेल अछि। पुलिस लूटल गेल 25 गोट कारतूस बरामद करबाक लेल लगातार छापेमारी कय रहल अछि। मामला मे एकटा महिला समेत तीन गोट गिरफ्तार कायल गेल अछि।