शिक्षक’क मौत पर विद्यालय मे शोक सभाक आयोजन

    0
    272

    मधेपुरा, मिथिला मिरर: मधेपुरा के चौसा प्रखंड अनर्गत प्राथमिक विद्यालय खोखन टोला मे शोक दिवस केर आयोजन कायल गेल। ज्ञात हो कि मध्य विद्यालय चिरौरी मे पदस्थापित शिक्षकक सड़क दूर्घटना मे देहांत भय गेल छल।

    प्रधानाध्यापक संजय कुमार पासवान कहलनि जे, इम्तियाज अहमद फिरदौसी उर्फ लक्कीक देहांत हेबाक कारने काफी क्षति भेल अछि। ओ कर्तव्यनिष्ठ शिक्षक छलाह। विद्यालय मे प्रधानाध्यापक संजय कुमार पासवान, गायञी कुमारी, माला कुमारी, कंचन कुमारी, मो० शाहनवाज़ एवं स्कूल के सब छात्र दू मिनट केर मौन राखि कय मृत आत्माक शांति लेल प्रर्थाना केलनि।