पीएमसीएच मे भूत-प्रेतक साया

    0
    268

    पटना, मिथिला मिरर: बिहारक सब स पैघ अस्पताल पीएमसीएच के फोर्थ ग्रेड स्टाफ क्वार्टर मे किछु दिन स दहशतक माहौल बनल अछि। पिछला महिना मे तक़रीबन 4 स 5 बच्चाक भेल मौत स लोक मे डर पसरल अछि। हालत ई बनल अछि जे, राजधानीक अहि जगह के लोक आब अंधविश्वास स जोड़ि कय देखय लागल अछि।

    पीएमसीएच के फोर्थ ग्रेड स्टाफ क्वार्टर मे रहय बला लोक बैसार कय माइक स पूजा पाठ और भूत-प्रेतक बात कय रहल छथि। कर्मचारी आ हुनकर घरक लोक के कहब अछि जे, स्टाफ क्वार्टर मे भूत-प्रेतक बसेरा भय गेल अछि। मृतक रोहन के मांक कहब छन्हि जे, बेटा बाहर स एलाक बाद नहाई लेल बाथरुम गेल और ओतहि अचानक ओकर मृत्यु भय गेल।

    लगातार भय रहल अहि घटनाक बाद बीच अस्पतालक निवासी मे अंधविश्वास घर कय गेल। हिनकर बात स लगैत अछि जे, पुलिस-प्रशासन पर किनको बिल्कुल भरोसा नहि रहल। हलत ई भय गेल अछि जे, छोट बच्चा सब आब क्वार्टर स बाहर निकालबाक लेल डेराइत रहैत अछि।

    लोकक बयान स लागि रहल अछि जे, राज्यक सब स पैघ अस्पतालक स्टाफ क्वार्टर मे दहशतक माहौल बनि गेल अछि आ लोकक बीच अंधविश्वास घर कय लेने अछि। मुदा सवाल ई अछि जे, पुलिस प्रशासन एखन धरि कतय अछि, कियाक ने अहि घटना पर कोनो विचार कायल जा रहल अछि, आ बच्चाक मृत्यक जाँच सही तरिका स कय कारणक खुलासा कायल जाईया। यदि समय स कोनो ठोस कदम नहि उठाओल गेल त आगूक तस्वीर अधिक भयानक सेहो भय सकैत अछि।